माँ शारदे वरदान दिअ
हमरो हृदयमे ज्ञान दिअ
हरि ली सभक अन्हार हम
एहन इजोतक दान दिअ
सुनि दोख हम कखनो अपन
दुख नै हुए ओ कान दिअ
गाबी अहीँकेँ गुण सगर
सुर कन्ठ एहन तान दिअ
बुझि पुत्र ‘मनु’केँ माँ अपन
कनिको हृदयमे स्थान दिअ
(बहरे रजज, मात्रा क्रम - २२१२-२२१२)
जगदानन्द झा ‘मनु’
Tags:
भाई जगदानन्द जी, अहाँक मैथिली ग़ज़ल सँ मन दोबर भ गेल. हम मैथिलिये भाषा में टिप्पणी कै रहल छी. भाषागत अशुद्धता लेल अग्रिम क्षमा.
पहिलुक त पइग बात ई जे अहाँ मिसरा के वज़्न साझा केलौं, जकरा स ग़ज़ल बुझबा में सहजता भ रहल अछि. हम अहाँ से अइ घड़ी एत्बे निवेदन करब जे ग़ज़ल पर अभ्यासक समय शब्द केर उच्चारणक व्यवस्था बिसरनाइ उचित नै.
हम साझा क रहल छी, कनिये देखियौ -
दिअ उच्चारणक अनुसार वस्तुतः दिअऽ होइयै, तैं दुआरे एकर वज़्न भेल १ २.
हमर = ह मर १२
हृदय = हृ दय १२
अन्हार = अ न्हा र १ २ १ (यदि अहाँ अन्हारक उच्चारण अन् हार करि रहल छी त वज़्न हेत २२ १, किन्तु एइ शब्दक मान्य उचारण १२१ अछि)
अहीँक = अ हीँ क १ २ १
सगर = स गर १ २
अब अहीँक के क आ सगरक स जुइट २ वज़्न नै भ सकैये.
अपन = अ पन १ २
हमर हार्दिक निवेदन अछि जे उपरोक्त वज़्न के अनुसार ग़ज़लक मिसरा पुनः देखल जाय.
आदरणीय Saurabh Pandey जी, अपनेक टिप्पणी पाबि हम धन्य भेलहुँ | आशा अछि आगूओ एनाहिते अपनेक आशीर्वाद भेटैत रहे |
भाई जगदानन्द ’मनु’ जी, पहिने उपरोक्त गज़लक दुरुस्त केल जाय.. तकरा से हमरो ई सुधि परत जे अहाँ ग़ज़लक व्यवस्था बूइझ रहल छी.
सधन्यवाद
आवश्यक सूचना:-
1-सभी सदस्यों से अनुरोध है कि कृपया मौलिक व अप्रकाशित रचना ही पोस्ट करें,पूर्व प्रकाशित रचनाओं का अनुमोदन नही किया जायेगा, रचना के अंत में "मौलिक व अप्रकाशित" लिखना अनिवार्य है । अधिक जानकारी हेतु नियम देखे
2-ओपन बुक्स ऑनलाइन परिवार यदि आपको अच्छा लगा तो अपने मित्रो और शुभचिंतको को इस परिवार से जोड़ने हेतु यहाँ क्लिक कर आमंत्रण भेजे |
3-यदि आप अपने ओ बी ओ पर विडियो, फोटो या चैट सुविधा का लाभ नहीं ले पा रहे हो तो आप अपने सिस्टम पर फ्लैश प्लयेर यहाँ क्लिक कर डाउनलोड करे और फिर रन करा दे |
4-OBO नि:शुल्क विज्ञापन योजना (अधिक जानकारी हेतु क्लिक करे)
5-"सुझाव एवं शिकायत" दर्ज करने हेतु यहाँ क्लिक करे |
© 2025 Created by Admin. Powered by
महत्वपूर्ण लिंक्स :- ग़ज़ल की कक्षा ग़ज़ल की बातें ग़ज़ल से सम्बंधित शब्द और उनके अर्थ रदीफ़ काफ़िया बहर परिचय और मात्रा गणना बहर के भेद व तकतीअ
ओपन बुक्स ऑनलाइन डाट कॉम साहित्यकारों व पाठकों का एक साझा मंच है, इस मंच पर प्रकाशित सभी लेख, रचनाएँ और विचार उनकी निजी सम्पत्ति हैं जिससे सहमत होना ओबीओ प्रबन्धन के लिये आवश्यक नहीं है | लेखक या प्रबन्धन की अनुमति के बिना ओबीओ पर प्रकाशित सामग्रियों का किसी भी रूप में प्रयोग करना वर्जित है |