Open Books Online
2024-03-29T11:28:46Z
kanta roy
https://openbooks.ning.com/profile/kantaroy
https://storage.ning.com/topology/rest/1.0/file/get/2868845030?profile=RESIZE_48X48&width=48&height=48&crop=1%3A1
https://openbooks.ning.com/group/maithilisahitya/forum/topic/listForContributor?user=0k22bd4gsxwoy&feed=yes&xn_auth=no
प्रसाद बुझी हम पीबी रहल छी (बाबा के गीत )
tag:openbooks.ning.com,2016-03-05:5170231:Topic:747532
2016-03-05T09:52:00.719Z
kanta roy
https://openbooks.ning.com/profile/kantaroy

प्रसाद बुझी हम पीबी रहल छी ई जीवन दुःख बाबा यौ

नाम अहाँ के रटते -रटते ,करबै जीवन अंत यौ.......

प्रसाद बुझी हम पीबी रहल छी ई जीवन दुःख बाबा यौ

आहाँ केर नगरी सुन्दर नगरी ,कोना कय पेबई दरसन यौ

कोना -कोना कय हम निहारब ,आहाँक मुख चन्द्र यौ

छी हम बहुत अभागल आँहाँ ने भेलहुँ संग यौ.........

प्रसाद बुझी हम पीबी रहल छी ई जीवन दुःख बाबा यौ

सर्प विचरत अंग -अंग में , बदन चन्दन लेप यौ

साथी बसहा मुड़ी झुलाबे ,गौरी…

प्रसाद बुझी हम पीबी रहल छी ई जीवन दुःख बाबा यौ
नाम अहाँ के रटते -रटते ,करबै जीवन अंत यौ.......

प्रसाद बुझी हम पीबी रहल छी ई जीवन दुःख बाबा यौ

आहाँ केर नगरी सुन्दर नगरी ,कोना कय पेबई दरसन यौ
कोना -कोना कय हम निहारब ,आहाँक मुख चन्द्र यौ
छी हम बहुत अभागल आँहाँ ने भेलहुँ संग यौ.........

प्रसाद बुझी हम पीबी रहल छी ई जीवन दुःख बाबा यौ

सर्प विचरत अंग -अंग में , बदन चन्दन लेप यौ
साथी बसहा मुड़ी झुलाबे ,गौरी मुख मुस्कान यौ
ज्युँ हम होइतहुँ सेवक आँहाँके , होइतहुँ हम धन्य यौ.......

प्रसाद बुझी हम पीबी रहल छी ई जीवन दुःख बाबा यौ
नाम अहाँ के रटते -रटते ,करबै जीवन अंत यौ

मौलिक और अप्रकाशित

जकरे देह में आगि लगैत छैक सैह ने जड़ैत अछि (लघुकथा)
tag:openbooks.ning.com,2015-08-23:5170231:Topic:691376
2015-08-23T14:30:50.026Z
kanta roy
https://openbooks.ning.com/profile/kantaroy

एक दिन दू आदमी के झगड़ा होइत रहैक , जकर गलती रहइ से ओहि ठाम उपस्थित लोक के बेर - बेर दोसर के इंगित कs कहय जे एकर बात पर हमरा देह में आगि लागि जाइत अछि । ओहि लोकक बीच में एकटा पंडीजी सेहो रहथि , ओ कहनलनि बौआ जकरे देह में आगि लगैत छैक सैह ने जड़ैत अछि , इ बात कयको बेर ओकरा कहलाह आ जिनका कहथि ओ बेर बेर एकेटा बात कहथि - हमरा देह में आगि लागि जाइत अछि । पंडीजी बाद में ओहि ठाम सँ चलि गेलाह।…

एक दिन दू आदमी के झगड़ा होइत रहैक , जकर गलती रहइ से ओहि ठाम उपस्थित लोक के बेर - बेर दोसर के इंगित कs कहय जे एकर बात पर हमरा देह में आगि लागि जाइत अछि । ओहि लोकक बीच में एकटा पंडीजी सेहो रहथि , ओ कहनलनि बौआ जकरे देह में आगि लगैत छैक सैह ने जड़ैत अछि , इ बात कयको बेर ओकरा कहलाह आ जिनका कहथि ओ बेर बेर एकेटा बात कहथि - हमरा देह में आगि लागि जाइत अछि । पंडीजी बाद में ओहि ठाम सँ चलि गेलाह।
संजय झा "नागदह"

(मौलिक आ अप्रकाशित )

अथ फिनायल कथा !
tag:openbooks.ning.com,2015-08-22:5170231:Topic:691447
2015-08-22T18:50:33.640Z
kanta roy
https://openbooks.ning.com/profile/kantaroy

दुःख हरो द्वारका नाथ शरण मैं तेरी ……. !

मोबाइलक घण्टी बाजल ! स्क्रीन पर चमकै छल “ कनियाँ के फोन ” !

इग्नोरक त प्रश्ने नहि !! धरफरा क फोन उठौलौं

----- हेलौ ! .... कहु ! सब ठिक कि ने ?

---- की ठीक ! ... लंच केलौं।

----- हँ ! ..... छौड़ा सब ठिक अछि कि ने ?

------ की ठीक रहत ! ...... जखन स' दर्श स्कूल सँ आएल अछि दर्श आ रित्विक दुनू उठ्ठम पटका केने अछि, मुदा ठीक अछि।

------ यै , हमरा त' आहाँक फोनक घण्टी सुनिकय कने काल लेल…

दुःख हरो द्वारका नाथ शरण मैं तेरी ……. !
मोबाइलक घण्टी बाजल ! स्क्रीन पर चमकै छल “ कनियाँ के फोन ” !
इग्नोरक त प्रश्ने नहि !! धरफरा क फोन उठौलौं
----- हेलौ ! .... कहु ! सब ठिक कि ने ?
---- की ठीक ! ... लंच केलौं।
----- हँ ! ..... छौड़ा सब ठिक अछि कि ने ?
------ की ठीक रहत ! ...... जखन स' दर्श स्कूल सँ आएल अछि दर्श आ रित्विक दुनू उठ्ठम पटका केने अछि, मुदा ठीक अछि।
------ यै , हमरा त' आहाँक फोनक घण्टी सुनिकय कने काल लेल बुझू त' हृदयक गति रुकि जाइत अछि । होइत रहइया जे की केलक इ सब छौड़ा से नहि जानि । जा धरि आहाँ इ नहि कहि दैत छी जे ई अगत्ती सब ठीक अछि ता धरि साँस टंगले रहैया नञि बाहर छोड़ि पबै छी आ नञि अन्दर क पबै छी । डरे बुझू प्राण सुखायल रहैया। तैं कहैत रहैत छी जे फोन अनेरो नहि कैल करु । ( मक्खन लगेलौं )
------- त' आहाँ अपने मोने एक बेर फोन क लेब से त' होइया नहि ! ( निर्विकार बजलैन )
-------- व्यस्त रहै छी , तैं नहि क पबैत छी। ( दाब देलौं )
-------- फेसबुक पर की ऑफिसक में !!! ( कनिया टिपलैन्हि । )
-------- छोड़ू इ बात सब ......... कहु कोनो खास बात !! ( मिमियैलियन )
---------- हँ ! ( हुँकारी देलैन )
---------- से की ? ..... बाजु ! ( मन हुदबुदाय लागल )
---------- काल्हिखन छोटका बौआ सबटा फेनाइल हरा देलकै , से अबैत काल एक बोतल फेनाइल ल' लेब । माँछी देखाइत छल, कतवो साफ क दैत छियै तैयौ एक - आध टा आबिए जाइत छैक। ( समस्या प्रकट केलन्हि )
---------- एकर माने ठीक सँ सफाई नै करैत हेबै । ठीक सँ कहियौ काज बाली के पोछा लगाओत । सबतरि माँछिये लगै छै की ? ( उत्क्रोँच देलियैन )
----------- यौ अपना भरि त' ठीके सँ लगबै छै, हम ताहि द्वारे आन काज छोड़ि पोछा लगबय काल हम ओकरे लग ठाढ़ रहै छी जे कहीं कतहुँ छोड़ि नहि दए। ( सफाई देलैन )
------------ गन्दा रहइया तैं न माँछी लगैया ? नहि त' कियै लगितै । ( टीपलहुँ )
------------ केहन गप्प कहै छी , हम त यौ बिना गन्दा के सेहो माँछी लगैत देखलियैया !!! ( कनी गर्मेली )
------------ लागि सकैत अछि जेना खाना परोसि राखी दियौ वा कोनो खाय बला सामान उघार छोड़ि दियौ , ओहो सब पर माँछी लागय लागत। हमरा जनैत ता एहनो भ' सकैत अछि। ( मद्धिमें बुझबय लगलहुँ )
----------- सेहो ठीक कहै छी, मुदा माछिक घर में प्रवेश बिना गन्दगी के संभव नहि। घर यदि सम्पूर्ण रूप सँ साफ़ - सुथरा रहत त' खेनाइ दू मिनट उघारो रहि सकैत अछि , ओहि पर माँछी नहि लागsत। अहुँ के लोक आ कि हम तावते धरि निक कहब, जा धरि स्वच्छ हृदय सँ संग रहब, आ जहिया मोन में कचरा भरि जायत तहिया हम की आ दुनियाँ की , नुका क' वा प्रत्यक्ष , कम की बेसी, खराप त कहबे करत । ( ज्ञान देलैनि )
---------- फेनाइल लेल फोन केने छलहुँ की हमरा संग लड़य लेल। हद भ गेल मौका भेटल की टूटि पड़ै छी । ...... ठीक छै , बड्ड काज अछि । अबैत काल याद रहत त' नेने आयब। ...... फोन धरू ! किछु भोजनो कैल करी ... खाली हमरे माथ स काज नहि चलाबी !
जा किछु आर टिपतथि ताबैत फोन काटि धम्म स कुर्सी पर बैसि गेलहुँ आ पनिक बोतल मुँह में द देलियै .... गट गट ...... !!!!

-------- संजय झा "नागदह"

(मौलिक आ अप्रकाशित)

चरिपतिया
tag:openbooks.ning.com,2015-08-11:5170231:Topic:687892
2015-08-11T03:56:20.513Z
kanta roy
https://openbooks.ning.com/profile/kantaroy

(१)

चाहे आहाँ रहु दिल्ली आ मुम्बई,

वा रहु देश-विदेशक कोनो कोण में,

मैथिल भेटिते मैथिली बाजू

टन द' मिठगर बोल में ।

(२)

अमावश्या राति सन मुँह हुनक

द्वितिया चान सन दाँत

बाजब यदि सुनि लेलहुँ हुनकर

त' करिते रहि जायब बात ।

(३)

सन - सन बहय बसात

उड़िया रहल अछि, चुनरी हुनकर

छौड़ा सब भेल बताह

हुनका लेखे धनो धन सन ।

(४)

ककरा करू फज्झति

ककरा सँ कलह…

(१)
चाहे आहाँ रहु दिल्ली आ मुम्बई,
वा रहु देश-विदेशक कोनो कोण में,
मैथिल भेटिते मैथिली बाजू
टन द' मिठगर बोल में ।

(२)
अमावश्या राति सन मुँह हुनक
द्वितिया चान सन दाँत
बाजब यदि सुनि लेलहुँ हुनकर
त' करिते रहि जायब बात ।

(३)

सन - सन बहय बसात
उड़िया रहल अछि, चुनरी हुनकर
छौड़ा सब भेल बताह
हुनका लेखे धनो धन सन ।

(४)
ककरा करू फज्झति
ककरा सँ कलह बेसाहु
घुमि रहल अछि काल चक्र
एहि मूढ़ के , किछु दिन आर बिसारु ।
(५)
करू ओकरा कात भाई
बड्ड चलबैत अछि थोंथि
भनें लिखलक ओ
नाम सँ त ' अछि हमरे पोथी ।

संजय झा "नागदह"

"मौलिक आ अप्रकाशित"

सीता माता वन्दना
tag:openbooks.ning.com,2015-08-10:5170231:Topic:687762
2015-08-10T12:57:47.044Z
kanta roy
https://openbooks.ning.com/profile/kantaroy

तर्ज़ : जय जय भैरवि अशुर भयाऊनि

जय जय सीता मिथिला तारिणी

जनक धिया सुखदाई

सुन्दर सुमति दिय हे माता

दुःख निवारू माई

जय जय सीता मिथिला तारिणी ।

अति कोमल राम ह्रिदय वासिनी

हनुमत के आहाँ माई

रावण राक्षस मारक कारण

रामक नाम देखाई

जय जय सीता मिथिला तारिणी ।

गोर वरन नयन अतिसुंदर

मधुर वचन तोर माता

पति परमेश्वर मात्र आहाँ बुझल

दोसर कियो ने विधाता

जय जय सीता मिथिला तारिणी ।

हनुमत के आहाँ अमर…

तर्ज़ : जय जय भैरवि अशुर भयाऊनि

जय जय सीता मिथिला तारिणी
जनक धिया सुखदाई
सुन्दर सुमति दिय हे माता
दुःख निवारू माई
जय जय सीता मिथिला तारिणी ।

अति कोमल राम ह्रिदय वासिनी
हनुमत के आहाँ माई
रावण राक्षस मारक कारण
रामक नाम देखाई
जय जय सीता मिथिला तारिणी ।

गोर वरन नयन अतिसुंदर
मधुर वचन तोर माता
पति परमेश्वर मात्र आहाँ बुझल
दोसर कियो ने विधाता
जय जय सीता मिथिला तारिणी ।

हनुमत के आहाँ अमर बनाओल
पति के आज्ञा सिरु अपनाओल
लव - कुश के स्वाबलंबी बनाओल
संजय के नए बिसरू माता
जय जय सीता मिथिला तारिणी ।

संजय कुमार झा "नागदह"

"मौलिक आ अप्रकाशित "

बेटी आ बहिनक मनोरथ के बारे में सेहो सोचु (लघुकथा)
tag:openbooks.ning.com,2015-08-08:5170231:Topic:687124
2015-08-08T05:38:44.884Z
kanta roy
https://openbooks.ning.com/profile/kantaroy

अपना विवाह में बहुत राश संगी साथी के बरियाती जयबाक लेल कहलियनि , एबो केलाह , मुदा एकटा मित्र कहलाह जे जायब त लेकिन दारू पिबे टा करब । हम कहलियनि जे आहा पिबे करब आ पिब क' ताण्डव करबे करब, त' कहलाह जे इहो भ' सकैत अछि । हम कहलियनि जे आहाँ नै जाऊ, कारन आहां हमर प्रतिष्ठा आ अप्पन गामक प्रतिष्ठा दुनु के ख़राब करब, तैं नै जाऊ, कहलाह ठीक छैक । संगही जतेक मित्र लोकनि छलाह सब गोटा के सूचित क' देलियनि जे कोनो तरहक एहन काज कियो गोटा नै करब जाही स हमरा संग संग हमर गामक प्रतिष्ठा पर आँच आबय, आ यदि मोन में…

अपना विवाह में बहुत राश संगी साथी के बरियाती जयबाक लेल कहलियनि , एबो केलाह , मुदा एकटा मित्र कहलाह जे जायब त लेकिन दारू पिबे टा करब । हम कहलियनि जे आहा पिबे करब आ पिब क' ताण्डव करबे करब, त' कहलाह जे इहो भ' सकैत अछि । हम कहलियनि जे आहाँ नै जाऊ, कारन आहां हमर प्रतिष्ठा आ अप्पन गामक प्रतिष्ठा दुनु के ख़राब करब, तैं नै जाऊ, कहलाह ठीक छैक । संगही जतेक मित्र लोकनि छलाह सब गोटा के सूचित क' देलियनि जे कोनो तरहक एहन काज कियो गोटा नै करब जाही स हमरा संग संग हमर गामक प्रतिष्ठा पर आँच आबय, आ यदि मोन में बिपरीत भावना होबय त' नहि जाऊ इ कष्ट हम बर्दास्त क' लेब । एकटा मित्र कहलाह जे कनि - मनि मजाक अगर भ' जेतेई त की हेतै ? हम कलियनी जे जिनका ओहिठाम आहाँ जाई छी , ओ हमर सम्बन्धी होबै जा रहल छथि । त' आहाँ ओहिठाम अगर कोनो अनुचित व्यवहार करब तकर माने आंहाँ हमरा संगे अनुचित व्यवहार करब । कहु की ई बर्दास्त करबा योग्य होयत ? जहिना अहाँ स हमरा स्नेहवत सम्बन्ध अछि तहिना ओतौ स रखबाक में आंहाँ सब सँ सहयोगक अपेछा राखैत छी । सब गोटे सहमत भेलाह आ बड्ड प्रतिष्ठा अर्जन क बरियाती सँ वापिस अयलाह ।

कारन हमरा ई बात के बड्ड कष्ट अछि जे हमर विवाह में देश - विदेश सँ संगी - साथी आबथि, मुदा जाहि लड़की के विवाह होई तकर मित्र देश - विदेश सँ त' काsत जाऊ अड़ोस - परोश तथा सगा - सम्बन्धी के सेहओ एनाई उचित नहि बुझैछथिन । सबहक पिताजी, भाईजी सब कहै छथिन नै जाऊ आब बरियाती सभ्य नहि अबैत अछि । की हमरा सब अपने टा मनोरथ बुझै छी ? ओ बेटी आ बहिनक मनोरथ के बारे में सेहो सोचु जे विवाहोपरान्त अप्पन माय - बाप संगी - सहेली के छोड़ि कतेक दूर भ' जाइत छथि ।

"मौलिक आ अप्रकाशित"

सम्हरि जाऊ बाबू मिथिलानी जागि गेल ( लघुकथा )
tag:openbooks.ning.com,2015-07-07:5170231:Topic:673728
2015-07-07T17:02:09.009Z
kanta roy
https://openbooks.ning.com/profile/kantaroy
" यौ गाम बाबू ,सुनलियै , कि कहैत छथिन पिसी दाई । "

" कि कहैत छथुन मंजूला बौआ , तोहर पिसी दाई ? "

" कहै छथिन जे कतबो पढेबै बेटी के , पाई तय गनहे पडतहू । पढल लिखल बेटी देबई, हुनकर बेटा समकक्ष , तय पाई रूपैया कियैक गनबै ..से कहू तय ..? "

" कि कहियौ बात बिचार मिथिला के बौआ , ताहि दिन चूरा दही खुआ कय सभा के बर - बरियाती के समाखन भय जाईत छलै । आब तय समय खराब भय गेलई , बुझलहूँ ! "

" यौ काका , आँहा कहू जदी पाई - रूपैया लय कय हमर बनल बेटी उठायत कियौ तय हम अनजाईत में बेटी बियाह करब लेकिन पाई- रूपैया…
" यौ गाम बाबू ,सुनलियै , कि कहैत छथिन पिसी दाई । "

" कि कहैत छथुन मंजूला बौआ , तोहर पिसी दाई ? "

" कहै छथिन जे कतबो पढेबै बेटी के , पाई तय गनहे पडतहू । पढल लिखल बेटी देबई, हुनकर बेटा समकक्ष , तय पाई रूपैया कियैक गनबै ..से कहू तय ..? "

" कि कहियौ बात बिचार मिथिला के बौआ , ताहि दिन चूरा दही खुआ कय सभा के बर - बरियाती के समाखन भय जाईत छलै । आब तय समय खराब भय गेलई , बुझलहूँ ! "

" यौ काका , आँहा कहू जदी पाई - रूपैया लय कय हमर बनल बेटी उठायत कियौ तय हम अनजाईत में बेटी बियाह करब लेकिन पाई- रूपैया दय कय हम मिथिला में बियाह नई करब । बुझलहूँ ने । "

" मति भ्रष्ट भय गेलहूँ कि तोहर मंजूला ! ई कि बजलैह ?"

"हम तय आब जे बजलहूँ से बजलहूँ । करबो सैह करब , नई तय कहियौ जे चेत जायत सब । "

कान्ता राॅय

भोपाल

मौलिक और अप्रकाशित
मैयाक गीत
tag:openbooks.ning.com,2013-09-19:5170231:Topic:437602
2013-09-19T16:33:27.337Z
kanta roy
https://openbooks.ning.com/profile/kantaroy

मैया भवानी अलख जगेथीन

अन्न धन देथीन हमरो घर ना

नै हम रहबै लेने खाली

दूबि धान

माँगै छी मैयासँ माँगक सेनूर

लाले लाल अचरीक दान

मैया करथीन हमरो कल्याण…

मैया भवानी अलख जगेथीन

अन्न धन देथीन हमरो घर ना

नै हम रहबै लेने खाली

दूबि धान

माँगै छी मैयासँ माँगक सेनूर

लाले लाल अचरीक दान

मैया करथीन हमरो कल्याण

सोन सन ललना हमरो कोरामे

देथीन मैया एक दिन ना

एबै हम संगे संग

करै लेल एहिठाम चूमान

जोगनी बनि सेबलहुँ हम

मैयाकेँ एखन धरि

वन वनसँ अनलहुँ फूल पान

मैया कनीक दियौ हमरोपर धियान

(मौलिक आ अप्रकाशित)

जगदानन्द झा ‘मनु’

गीत
tag:openbooks.ning.com,2013-07-31:5170231:Topic:406044
2013-07-31T07:50:47.463Z
kanta roy
https://openbooks.ning.com/profile/kantaroy

ई जे साँझ परलै मैया

की हमरे जीवनमे

मुनल आँखि तकबै कहिया

हमरो जीवनमे।।

सगर दुनियाँकेँ चिलका

माएक आँचर तर

हम अभागल कोना

भटकै छी दर-दर।।

घुरि, बुझि…

ई जे साँझ परलै मैया
की हमरे जीवनमे
मुनल आँखि तकबै कहिया
हमरो जीवनमे।।

सगर दुनियाँकेँ चिलका
माएक आँचर तर
हम अभागल कोना
भटकै छी दर-दर।।

घुरि, बुझि आबो आबू
मनु अबुद्धि नेना
अपन सिनेहसँ
किएक बिसरलहुँ ऐना।।

(मौलिक आ अप्रकाशित)

जगदानन्द झा 'मनु'

गजल
tag:openbooks.ning.com,2013-04-13:5170231:Topic:346624
2013-04-13T19:50:29.920Z
kanta roy
https://openbooks.ning.com/profile/kantaroy

माँ शारदे वरदान दिअ
हमरो हृदयमे ज्ञान दिअ

हरि ली सभक अन्हार हम
एहन इजोतक दान दिअ

सुनि दोख हम कखनो अपन
दुख नै हुए ओ कान दिअ

गाबी अहीँकेँ गुण सगर
सुर कन्ठ एहन तान दिअ

बुझि पुत्र ‘मनु’केँ माँ अपन

कनिको हृदयमे स्थान दिअ

(बहरे रजज, मात्रा क्रम - २२१२-२२१२)
जगदानन्द झा ‘मनु’

माँ शारदे वरदान दिअ
हमरो हृदयमे ज्ञान दिअ

हरि ली सभक अन्हार हम
एहन इजोतक दान दिअ

सुनि दोख हम कखनो अपन
दुख नै हुए ओ कान दिअ

गाबी अहीँकेँ गुण सगर
सुर कन्ठ एहन तान दिअ

बुझि पुत्र ‘मनु’केँ माँ अपन

कनिको हृदयमे स्थान दिअ

(बहरे रजज, मात्रा क्रम - २२१२-२२१२)
जगदानन्द झा ‘मनु’